Home कविता कहानियां “गामक बुढिया” मैथिली कहानी, लेखक-अमित आनंद

“गामक बुढिया” मैथिली कहानी, लेखक-अमित आनंद

2004
18
SHARE

“गामक बुढिया” लेखक-अमित आनंद: नमस्कार प्रिय मित्र गण अपनेक Educational Portal में स्वागत अछि। आजुक पोस्ट में हम अमित आनंदक लिखल कहानी “गामक बुढिया” प्रस्तुत क रहल छी।

पोस्ट के अधिक स अधिक शेयर करि आ कमेंट बॉक्स मे अपन विचार देल जाउ।

Amit Anand NewsviralSK

गामक बुढिया लेखक-अमित आनंद

किछू दिन पहिले पटना स गाम आईल छलहु।गामक आनंद त आहा सब बूझते छियै।दौड़िक एमहर दौड़िक ओमहर।चैर -पांच दिन पहिले हम बड खुश भ क जोन संगे बांस काटबाक हेतू अपन कलम (बाग बगीचा) गेलाऊ ।

जोन बांस काट लागल आ हम ओहिठाम खड़ा भ क देख लागलहु। दू तीन – घंटा तक  जोन बांस काटलकिन्ह आ आइर परम बैसी क खैनी लटाब लागलकिन्ह। ता धरि हमरो मोन म एक प्रकारक भावना जागल जे कनेक देर हमहू कियेक नै बांस काटि ली।

हम एमहर ओहमर कुछ नै देखलहूं आ दबिया ल क बांस परम बजार लागलहू ।आइर परम बैसल जोन हमरा पहिले कैह देलकिन्ह। जे मालिक आहा स ई काज न हि होब वाला अइछ ।मूदा हमहूं  काहा मानै वाला लागलाऊ काटे ।

जखने चाइर- पांच बेर दबिया ल क बांस परम देलियै से हौ बाबू बांस छेलै झुकल आधे पर स फाटि क उइर गेल जाधरि हम अपन मूंह छिपलाऊ-छिपलाऊ। ताधरि त बांस आबि क हमर मूह फोरि देलक।

सब गोटे आनन -फानन म लागि गेलाह ।आ हमरा उठा -पुठा क घर लाबलकिन्ह ।कि कहि आहा सभ के ई बात तुरंन्ते पूरा गाम पसैर गेल ।आ गामक बूडिया सब छाती पिटैत हमर लग मे आब लागल ।यौ सबसं आश्चर्य त हमरा लागल जे हम चुप छलहू लेकिन बूडिया सब कियो छाती पिटैत  त कियो माथ ।

बात ऐतई खतम न हि भेल हम जहन इलाज करवा क घर पहुचलहूं तहन आउरो सीरियस भ क बूडिया सब आब लागल ।आ जे पहिने नहि आयल छलकिन्ह सब गोटे बाद म आबिक हमरा स मिललकिन्ह  आ रंग-बिरंगक गप कहलकिन्ह डाक्टर साहब सब कुछ खेबाक हेतू कलकिन्ह मूदा बूडिया सब कुछ न हि नहि भात ,नहि साग आ नहि दूध ।

जेना डाक्टर साहब स नमहर डिग्री ल क बूडिया सब गाम मे बैठल  छथिन्ह।

 

(यौ हमर मित्र लोकैन इ एगो सही घटल घटना अछि ।जौ आहा सभके निक लागल त एगो लाइक आ कोमेंट जरूर करब औरो एगो बात आहा सभके अगर एहि कहानी में कुछ त्रुटी नजर आबि रहल अछि त हमरा जरुर खबर करब )

लेखक:- अमित आनंद ?

इसे भी पढ़ें

कविता कहानी– संतोष कुमार संतोषी

हिंदी कविता संग्रह — राजहंस कुमार

10000+  GK संग्रह–  CLICK Here

इसे भी पढ़ सकते हैं

YouTube Channel — NewsViral SK

18 COMMENTS

  1. ऐतेक निकक् मजेदार कहानी छलँ पढ़नीत मजाचेल एलह यह अकसर गाँव में होइत अछि दिल धन्यवाद तैत् छि 💯❤💯❤💯❤💯❤❤❤❤❤💯💯💯💯💯💯❤❤❤💯👍👍👍👍👌👌👌

  2. सर हम अहा क कोना आभार प्रकट करि हमरा फुरैत नहि अछि आ हमर लिखल कहानी क आहा जगह देलाउ दिल स धन्यवाद आ आई हमर मोन एतेक बुलंद भ गेल ।जे हम अहा क कोना बताबि

  3. बहुत ही मजेदार बात है
    यह अक्सर गांव में होता है

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here