Home QB 12th Maithili model 12th Maithili MCQ viral Set 1

12th Maithili MCQ viral Set 1

13
0
SHARE

12th Maithili MCQ viral Set 1
1. ज्योतिरीश्वरक जन्म कहिया भेलनि ?
(क) 1294 ई. (ख) 1292 ई. (ग) 1291 ई. (घ) 1283 ई.
2. ज्योतिरीश्वरक जन्म कौन गाममे भेलनि ?
(क) पाली (मधुबनी) (ख) नरार (ग) सौरा (घ) ककरौल
3. ज्योतिरीश्वरक पिताक नाम की छलनि ?
(क) गणेश ठाकुर (ख) धीरेश्वर ठाकुर (ग) महेश ठाकुर (घ) गणपति ठाकुर
4. ‘वर्णरत्नाकर’ किनकर कृति अछि ?
(क) ज्योतिरीश्वर (ख) मनमोहन झा (ग) ललित (घ) भाग्यनारायण झा
5. कोन ऋतुमे गाछ पल्लवित होइत अछि ?
(क) ग्रीष्म ऋतु (ख) शरद ऋतु (ग) वसंत ऋतु (घ) हेमन्त ऋतु
6. कोइलीक कलरव कोन ऋतुक परिचायक अछि ?
(क) ग्रीष्म ऋतु (ख) शरद ऋतु (ग) वसंत ऋतु (घ) हेमन्त ऋतु
7. विरहिनी पर कामदेवक प्रभाव कोन ऋतुमे होइत अछि ?
(क) ग्रीष्म ऋतु (ख) शरद ऋतु (ग) वसंत ऋतु (घ) हेमन्त ऋतु
8. नायक वसन्त ऋतुमे किएक हर्षित होइत छथि ?
(क) नायिका सँ मिलबाक उम्मीद (ख) अपन लोकसँ मिलबाक उम्मीद (ग) (क) और (ख) दुनू (घ) एहिमे सँ कोनो नहि
9. वसन्त ऋतुमे नायिका अभिलाषा की होइत अछि ?
(क) नायक सँ मिलबाक उम्मीद (ख) अपन लोकसँ मिलबाक उम्मीद (ग) (क) और (ख) दुनू (घ) एहिमे सँ कोनो नहि
10. फूलक स्वल्पता कोन ऋतुमे होइत अछि ?
(क) वसंत ऋतु (ख) शरद ऋतु (ग) ग्रीष्म ऋतु (घ) हेमन्त ऋतु
11. ज्योतिरीश्वर पढ़बा योग्य रात्रि कोन ऋतु कें कहैत छथि ?
(क) वसंत ऋतुकें (ख) शरद ऋतुकें (ग) ग्रीष्म ऋतुकें (घ) हेमन्त ऋतुकें
12. शिशिर ऋतुमे वायु किएक नीक नहि लगैत अछि ?
(क) गर्मीक कारणें (ख) शीतलताक कारणें (ग) गर्दाक कारणें (घ) एहिमे सँ कोनो नहि
13. शिशिरमे सूर्यक गति कोन दिशामे रहैत छैक ?
(क) पूरब (ख) पश्चिम (ग) उत्तर (घ) दक्षिण
14. मैथिली कें राष्ट्रीय स्तर पर समादृत के करौलनि ?
(क) ज्योतिरीश्वर ठाकुर (ख) गंगानाथ झा (ग) उमेश मिश्र (घ) हरिमोहन झा
15. ज्योतिरीश्वर ठाकुर कोन उपाधि सँ अलंकृत छलाह ?
(क) कवि को किल (ख) कवि को विद (ग) कवि शेखरा चार्य (घ) एहिमे सँ कोनो नहि
16. वर्णरत्नाकरक तुलना संस्कृत कें कोन ग्रंथ से कयल जाइत अछि ?
(क) कादम्बरी (ख) हर्षचरित (ग) शिवराज विजय (घ) मालती माधव
17. ‘धूर्तसमागम’ प्रहसनक लेखक छथि ?
(क) हरिमोहन झा (ख) ज्योतिरीश्वर (ग) उमापति (घ) मनबोध
18. सीमन्तिनी कोन कोटिक कथा थिक ?
(क) सामाजिक (ख) धार्मिक (ग) शिक्षाप्रद (घ) आर्थिक
19. ‘सीमन्तिनी’ कथाक लेखक के छथि ?
(क) वैद्यनाथ झा (ख) म.म. परमेश्वर झा (ग) ज्योतिरीश्वर (घ) हरिमोहन झा
20. परमेश्वर झाक जन्म कहिया भेलनि ?
(क) 27 दिसम्बर, 1856 ई. (ख) 27 दिसम्बर, 1855 ई. (ग) 27 दिसम्बर, 1854 ई. (घ) 27 दिसम्बर, 1853 ई.
21. परमेश्वर झाक जन्म कोन गाममे भेलनि ?
(क) तरौनी (दरभंगा) (ख) सरिसव (ग) रोहिका (घ) ककरौल
22. परमेश्वर झाक निधन कहिया भेलनि ?
(क) 30 जून, 1922 ई. (ख) 30 जून, 1923 ई. (ग) 30 जून, 1924 ई. (घ) 30 जून, 1925 ई.
23. परमेश्वर झाकें कोन ईसवीमे ‘वैयाकरण केशरी’ आ ‘महोपदेशक’क उपाधि भेटलनि ?
(क) 1908 ई. (ख) 1918 ई. (ग) 1902 ई. (घ) 1904 ई.
24. म. म. परमेश्वर झाकें मिथिलाक तत्कालीन सर्वोच्च उपाधि ‘महामहोपाध्याय’ कोन ईसवीमे भेटलनि ?
(क) 1912 ई. (ख) 1913 ई. (ग) 1914 ई. (घ) 1902 ई.
25. राजा शिवसिंहकें कोन वस्तुक लालसा छलन्हि ?
(क) अर्थ (ख) धन (ग) यश (घ) कन्या
26. चित्रवर्मा कोन ठामक राजा छलाह ?
(क) आर्यावर्त्त (ख) बिहार (ग) आसाम (घ) मगध
27. नव ज्योतिषौक स्वभाव केहन छलन्हि ?
(क) मधुर (ख) कर्कशा (ग) तीव्र (घ) कोमल
28. नव ज्योतिषी की भविष्यवाणी कएलन्हि ?
(क) दीर्घायु होएबाक (ख) सौभाग्यवती होएबाक (ग) रोगी होएबाक (घ) चौदहम वर्षमे वैधव्य
29. भविष्यवाणीक बाद नव ज्योतिषी कें की भेटलनि ?
(क) लोभ (ख) विस्मय (ग) पश्चाताप (घ) हर्ष
30. बूढ़ देवान खबासिनीसभ की कहलनि ?
(क) नव ज्योतिषी असत्य कहलनि (ख) बूढ़ ज्योतिषी ठीक कहलनि (ग) अनिष्ठ योगक शान्तिक उपाय (घ) किछु नहि
31. ‘षट्कर्णी भिद्यते मंत्र’ एकर की अर्थ अछि ?
(क) कानमे बात कहब (ख) छओ कानमे पड़ल बात गोल भए जाइछ (ग) कानमे मंत्र देब (घ) कनाफुसकी करब
32. ‘सीमन्तिनी’ कोना बढ़ए लगलीह ?
(क) मन्थर गति सँ (ख) मध्यम गति सँ (ग) शुक्लपक्ष क चन्द्रमा जकां (घ) विद्युत गति सँ
33. कन्याक जन्मक कतेक दिनक बाद ओकर सीमन्तिनी नाम राखल गेल ?
(क) छओ (ख) नौ (ग) ग्यारह (घ) सतरह
34. ज्योतिषी लोकनि सभा मे राजा को की बजलाह ?
(क) सीमन्तिनीक जन्मपत्री बनाउ (ख) सीमन्तिनीक आयु की अछि (ग) सीमन्तिनी कें कतेक स्थापनाक योग अछि (घ) सीमन्तिनीक कर्म केहन छन्हि
35. कुमार गंगनन्द सिंहक जन्म कतऽ भेलनि ?
(क) श्रीनगर, पूर्णिया (ख) सहरसा (ग) सुपौल (घ) दरभंगा
36. कुमार गंगनन्द सिंहक निधन कहिया भेलनि ?
(क) 17 जनवरी, 1970 ई. (ख) 17 जनवरी, 1972 ई. (ग) 17 जनवरी, 1973 ई. (घ) 17 जनवरी, 1974 ई.
37. ‘अगिलही’ कथा-संग्रहक लेखक छथि :
(क) कुमार गंगनन्द सिंह (ख) ललित (ग) मनमोहन झा (घ) उमेश
38. मैथिली महासभक स्थापना कहिया भेल ?
(क) 1905 ई. (ख) 1906 ई. (ग) 1908 ई. (घ) 1910 ई.
39. राष्ट्रिय एकताक महत्व शीर्षक निबन्धक लेखक छथि :
(क) कुमार गंगनन्द सिंह (ख) डॉ. जगदीशचन्द्र झा (ग) प्रभास कुमार चौधरी (घ) प्रो. मायाानन्द मिश्र
40. चीन भारत पर कहिया आक्रमण कएलक ?
(क) 1960 ई. मे (ख) 1962 ई. मे (ग) 1963 ई. मे (घ) 1964 ई. मे
41. ‘राष्ट्रिय एकताक महत्व’ कोन प्रकारक निबंध अछि ?
(क) विचारात्मक (ख) धार्मिक (ग) व्यक्तिगत (घ) सामाजिक
42. राष्ट्रिय शक्ति कोन बात पर अवलम्बित अछि ?
(क) जनसंख्या (ख) एकता (ग) सैनिक बल (घ) युवा वर्ग
43. कन्याकुमारी देशक कोन भागमे अछि ?
(क) उत्तर (ख) दक्षिण (ग) पूरब (घ) पश्चिम
44. हिमालय देशक कोन भागमे अछि ?
(क) उत्तर (ख) दक्षिण (ग) पूरब (घ) पश्चिम
45. भारतक पैघ विशेषता की थिक ?
(क) धर्मप्राण (ख) विभिन्नतामे एकता (ग) आदर्शवादी भावना (घ) नैतिकता पक्षपाती
46. भारत कोन बल पर स्वतंत्र भेल ?
(क) एकता (ख) सचरित्रता (ग) त्याग (घ) वीरता
47. भारतक एकताक स्रोत कतए सँ अबैत अछि ?
(क) वैदिक काल (ख) रामायण काल (ग) महाभारत काल (घ) गुप्त काल
48. राष्ट्रिय एकताक महत्व निबंध सँ की प्रेरणा भेटैछ ?
(क) देश पर गर्व करी (ख) एकता के सुदृढ़ करी (ग) देशक बहुमुखी विकास करी (घ) विश्व शान्तिक भावना जगाबी
49. महिषासुरक अत्याचार सँ पीड़ित देवतालोकनि किनका स्मरण केलनि ?
(क) दुर्गाकें (ख) विष्णुकें (ग) ब्रह्माक (घ) गणेशकें
50. ‘अधोगति’ शीर्षकक लेखक छथि ?
(क) राजकमल चौधरी (ख) ललित (ग) म. म. डॉ. सर गंगानाथ झा (घ) मनमोहन झा

 

उत्तर (Answer Key):
1. (क), 2. (क), 3. (ख), 4. (क), 5. (ग), 6. (ग), 7. (ग), 8. (क), 9. (क), 10. (घ), 11. (घ), 12. (क), 13. (घ), 14. (क), 15. (ग), 16. (क), 17. (ख), 18. (ग), 19. (ख), 20. (क), 21. (क), 22. (ग), 23. (क), 24. (ग), 25. (ख), 26. (क), 27. (ग), 28. (घ), 29. (ग), 30. (ग), 31. (ख), 32. (ग), 33. (ग), 34. (घ), 35. (क), 36. (क), 37. (क), 38. (घ), 39. (क), 40. (ख), 41. (क), 42. (ख), 43. (ख), 44. (क), 45. (ख), 46. (क), 47. (क), 48. (ग), 49. (क), 50. (ग)

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here